9 तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ।
जब तुसब पुरा रुपसे खिरिस्टके आग्या मानबिही तब आग्या नै मानैबलासबके सजाय दैकेलेल हमसब तैयार हेबै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
तोरासबके चित दुखाइके लेल नै महज तोरासबके खातिर हमर गहिर परेम जान कैहके बहौत दुख-कस्टसे लोर बहाबैत तोरासबके उ चिठी लिखने छेलियौ।
अहैलेल हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि उ लोक परती आपन परेम औरो गहिरसे परकट कर।
उसब एकदम संकटके परिक्छामे रहितोपरभी परसस्त आनन्दित भेलै आ गरिबीमे सेहो उसब उदार चितसे भेटी देल्कै।
तुसब आपन परेमके परमान ओइसबके दहै आ हमसब कथिले तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै से बात मन्डलीसब देखे।
अहैलेल हमर पिरिय भाइ-भैयासब, जनङ तोरासब सबदिन आग्यापालन करैत एलचिही, हमर उपस्थितीमे मातरे करल जखा नै, महज आब औरो बेसिसे हमर अनुपस्थितीमे आदर आ डर मानैत तुसब आपन मुक्तीके काम पुरा करैके लेल एकदमसे मेहनत कर।
तोरासबके थाहे छौ, कि तिमोथीके बेबहार असल छै। जनङ बेटा आपन बाबुके साथ दैछै तहिनङे उ हमरसङे सुसमाचार परचारके काममे हमरा साथ देल्कै।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।
तोहर आग्या पालनमे पुरा भरोसा कैरके यि चिठी लिखैचियौ कि हमर माङलहासे बेसी तु आपने करबिही।