17 हमसब आपन फैदाके लेल परमेस्वरके बचन परचार करैबला बेपारी नै चियै। महज हमसब इमान्दार भ्याके खिरिस्टके सेबकके रुपमे परमेस्वर हमरासबके देखैछै से बात जाइनके ओकर बचन परचार करैचियै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
तोरासबके सहायता हैबला कामसब सब लोकसबके बिचमे परचार करैले आ तोरासबके घर-घरमे सेहो ज्याके सिक्छा दैले नै छोरलियौ।
कथिलेत हम परमेस्वरके सरा योजना सुनाबैले पछामाथे नै ताकलियौ।
तैखातिर हमसब अधलाह आ दुस्ट कामके पुरन्का खमिरसे बनल रोटीसे नै, महज खमिर नै मिझर्याल, सुध आ सत्यताके रोटीसे निस्तार पाबैन मना।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
परमेस्वर बिस्बासयोग्य भेल जखा अपनासबके बोलि सेहो बिस्बासयोग्य छै। हमसब एके बातमे “हँ” आ एके बातमे “नै” कैहके नै कहैचियै।
हम कथिले अनङ कहैचियौ त? कि हम तोरासबके परेम नै करैचियौ? परमेस्वर जानैछै कि हम तोरासबके परेम करैचियौ।
भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
सत खबर परचार कैरके परमेस्वरके सक्तीसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिकता चियै।
तोरासब खिरिस्टके अनुगरहमे बोलाइबला परमेस्वरके अतहेक जल्दी बिसैरके दोसर सुसमाचार दिसन लागल देखके हमरा त एकदम ताजुब लाइगरहल छै।
महज परमेस्वर हमरासबके ओकर योग्य भेलाके कारन सुसमाचार परचार करैके जिम्मा देने छै। अहैलेल हमसब लोकसबके खुसी करैके लेल नै, महज मन जाचैबला परमेस्वरके खुसी करैके लेल हमसब सुसमाचार सुनाइचियै।
ओकरासबके मुहमे जाबी लगाइए परतै कथिलेत उसब पैसा-कौरी कमाबै खातिर झुठ सिक्छा सिख्याके सब घर परिबारमे उधपात मचाइने छै।
रजाके करोधसे नै डगमगाके बिस्बासकेसाथ उ मिसरदेस छोरल्कै। कथिलेकी आँखसे देखैले नै सकैबला परमेस्वरके देखल जखा कैरके उ पछा दिसन नै घुमलै।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
महज उ जानबर आ ओकर अगा अचमके चेन्हा देखाइबला झुठा अगमबक्ता दुनु पकराउमे परलै। एहैन अचमके कामसे झुठा अगमबक्ता ओइ जानबरके छाप लगाइबला आ मुरती पुजा करैबलासबके बहकाइने छेलै। दुनुके जिबिते आइगके धिधरामे फेक देल्कै।
महज तोहर बिरोधमे हमरा यि कहैकेछै कि, तु इजबेल कहाइबली जनीके सहन करैचिही। जे आपनेके अगमबादिनी कहैछै आ आपन सिक्छासे हमर सेबकके भरमाके बेबिचार करैले आ मुरतिपुजामे चरहाल चिज खाइले सिखाबैछै।