10 हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
तुसब कथी चाहैचिही? हम तोरासबलग अनुसासनके लाठी ल्याके एबौ कि परेम आ नम्र आत्माके साथ एबौ?
जब तुसब अपनासबके परभु येसुके नाममे भेला हैचिही त हमर आत्मा तोरेसबसङे रहैछौ आ परभु येसुके सक्तीयो ओतै रहैछै।
हम तोरासबलग एबौ त उ कठोरता नै देखाइले परे जे कठोरता हमसब सन्सारके लोकसब जखा चलैचियै कैहके संका करैबला लोकसबके देखाइके लेल हम निस्चय करनेचियै।
हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।
परभुके देल हमरासबके अधिकारके बारेमे हम बरका बरका बात करबै तैयो लाजमे नै परबै, कथिलेकी यि अधिकार तोरासबके बिगार करैके लेल नै महज सुधारके लेल चियै।
दोसर बेर तोरासबके बिचमे हैतकाल हम तोरासबके चेताबनी देल जखा आब तोरासबके बिचमे नहियो चियै तैयो चेताबनी दैचियौ। हम फेर एबौ त पहिने पाप करलाहासबके आ औरो ककरो नै छोरबौ।
कथिलेत सतके बिरोधमे हमसब किछो करैले नै सक्बै, महज सतके लेल मातरे काम करेसकैचियै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
अपनासबमे रहल पबितर आत्मा आ अपनासबके निसकपट परेमसे हमसब आपनेके सुध, समझदार, सहनसिल आ दयालु परमानित करनेचियै।
यि कहल बात साँचोके चियै। अहैलेल ओइसबके करासे चेताइनाइ जरुरी छै, ताकि उसब बिस्बासमे बौकार हेबे।