12 हम पुरा धिरजकेसाथ सक्तिसाली आ अचमके कामसब कैरके तोरासबके बिचमे खिरिस्टके परेरित भेल परमान देनेचियौ।
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत हम तोरासबसे बेसि आन भसामे बोलैचियै।
यदि कोनो लोक आइबके हमरासबके करल येसुके परचार बाहेक दोसर येसुके परचार करतै त, तोरासबके भेटल आत्मासे दोसरे आत्मा तुसब गरहन करबिही त, या तोरासबके भेटल सुसमाचारसे कोनो दोसर सुसमाचार गरहन करबिही त, तुसब यि सबके अगा सहजे झुकैचिही।
हम बोलैमे फरहर लोक नहियो चियै त ग्यानमे कमके नै चियै। यि बात हमसब तोरासबके हर परकारसे साफ-साफ देख्यादेनेचियौ।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।