महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदी हम नै जेबौ त तोरासबके सल्लाह दैबला पबितर आत्मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ।
तैखातिर हे भाइ-भैयासब, यदि हम तोरासबके बिचमे आन भसामे बोल्बौ त तोरासबके कि फाइदा हेतौ? बरु परमेस्वरसे एल कोनो बातके परकास आ ग्यान-गुनके बात, अगमबानी या सिक्छा हम देबौ त तोरासबके फाइदा हेतौ।
कोइ कहैछै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै”, महज सब बात हमर लेल भलाइके नै छै। कहैले त हम्हु सकतियै, “सबकुछ करैके लेल हमरा अधिकार छै” महज हम ककरो दास नै बन्बै।
हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।
अइ बिसयमे हम तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ, एक बरिस पहिने जे काम तुसब सुरु करने मातरे नै, महज उ करैले उतकट इक्छा सेहो करने छेल्ही, आब ओइके पुरा करनाइ तोरासबके लेल असल हेतौ।
हमरा ओते जाइले परतै कैहके परमेस्वरके देख्याल अनुसार हम ओते गेलियै। हम ओते रहैबखत मन्डलीके मुल अगुवा मानलसबके एकान्तमे भेटघाट करलियै आ जे सुसमाचार हम गैर-यहुदीसबके सुनाइने छेलियै से बात सहि छै कैहके ओकरासबके परस्ट बत्यादेलियै। नै त हमर करल आ कैररहल काम बेरथ हेतै।