26 हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करे लाग्लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करे लाग्लै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
तकरबाद कुछ यहुदीसब एन्टिओखिया आ आइकोनियनसे ओते एलै आ लोकसबके आपन पक्छमे कैरके पावल उपर पथलबाही कराइल्कै। उ मरगेल हेतै कैहके ओकरा घिस्याइत लज्याके सहरसे बाहर फेकदेल्कै।
तब गैर-यहुदीके लोक आ यहुदी लोकसब ओकरासबके आपने सासकसब सङे मिलके पावल आ बरनाबासके अपमान करैले आ पथलसे मारैके मन करल्कै।
तब पावल सिलासके छानल्कै। तकरबाद परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब ओइसबके परभुके किरपामे सौप देल्कै।
महज जब थेसलोनिकेमे भेल्हा यहुदीसब बेरियोमे पावल परमेस्वरके सुसमाचार परचार करैछै से बात सुनल्कै, तब उसब बेरियामे आइबके हो-हल्ला मचाबैले लाग्लै आ पावलके बिरोध करैले ओतेका लोकसबके उक्साइले लाग्लै।
महज औरो यहुदीसब ओइसबके डाह करै आ बजारके गुन्डा बदमाससबके बोल्याके बजारमे हो-हल्ला करैले लगाइल्कै। तकरबाद यासोनके घरमे हमला कैरके पावल आ सिलासके लोकसबके भिरके अगामे आनैले चाहल्कै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
जखुन अपोल्लोस कोरिन्थ सहरमे छेलै तखुन पावल एसिया इलाकाके बिच रस्ता हैत एफिसस सहरमे पुग्लै। ओते उ बिस्बासीके भेटलै।
ओहै बखत “परभुके बाटके” बारेमे परचार भेलासे हुलदङा मच्लै।
हम त धिरजके साथ आ लोर बह्या-बह्याके यहुदीसबके जालझेलके बावजुदो परभुके सेबा करतै रहलियै।
उ ओते तिन महिना तक रहलै आ जब उ पानी जहादसे सिरियाके लेल निक्ले लाग्लै तब यहुदीसब हमर बिरोधमे जाल-झेल रैच रहल छै तैके बारेमे थाह भेलै। तैल्याके उ फेनो माकेडोनिये हैत घुइमके आबैले निरनय करल्कै।
जब ओइसबमे मतभेद बरहैत गेलै तब सेनापती डेरागेलै जे पावलके उसब टुकरा-टुकरा कैर नै दै। तैल्याके उ सैनिकसबके निचा ज्याके पावलके ओइसबके बिचसे जबरजस्तीसे गढ़मे लजाइले आग्या करल्कै।
आ पावलके यरुसलेम पठादिय कैहके बिन्ती करल्कै, कथिलेत उसब पावलके रस्तेमे मारैके योजना बनाइने रहै।
कैदीसब पौरके भाइग जेतै कि कैहके सैनिकसब ओइसबके मारैके बिचार करल्कै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
कोन बातसे अपनासबके खिरिस्टके परेमसे अलग करैले सक्तै? अपनासबके दुख, कठिनाइ, सताबट, नाङट आ भुखल रहैबला अबस्था आबैले सक्तै। अपनासब कोनो भारी बिपतमे या मरैयोले सक्बै महज यि कोनो चिजसे अपनासबके खिरिस्टके परेमसे अलग करैले नै सक्तै।
यदि मरलसे जिके नै उठतै त हमसब मैरके जि उठैके बारेमे परचार कैरके आपन जिबनके कथिले घरीघरी खतरामे पारबै?
लोकसबके हिसाबसे कहैचियौ त, एफिसस सहरमे हम जङली जानबरसब जखा लोकसबसङे लराइ कैरके हमरा कि फैदा भेलै? यदि मरल लोक जीके नै उठैछै त “खो आ पि, कथिलेत हमसब त काइल मैर जेबै।”
जब हम दमस्कस सहरमे छेलियै तब अरितस रजाके बडा-हाकिम हमरा पकरैके लेल सहरके देहरीमे सिपाहीसबके पहरा लगाइल्कै।
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।