25 हम तिन बेर लाठीसे माइर खेलियै। हम एकबेर पथलसे माइर खेलियै। हम पानी जहादके यातरा करैबेर तिन चोटी जहाद डुइबगेलै। एक दिन आ एक रात हम समुन्दरमे बिताइलियै।
तब ओकरा गैर-यहुदीसबके हाथमे सौपतै। ओकरा गिल्ला करतै, कोरासे पिटतै आ कुरूसमे टाङइके माइरदेतै। महज फेनो उ तेसर दिनमे जिबित भ्याके उठतै।”
महज उ बटिदारसब मिलके उ नोकरसबके पकैरके एकटाके पिटल्कै, दोसरके माइरदेल्कै आ तेसरके पथलसे मारल्कै।
तकरबाद कुछ यहुदीसब एन्टिओखिया आ आइकोनियनसे ओते एलै आ लोकसबके आपन पक्छमे कैरके पावल उपर पथलबाही कराइल्कै। उ मरगेल हेतै कैहके ओकरा घिस्याइत लज्याके सहरसे बाहर फेकदेल्कै।
तब गैर-यहुदीके लोक आ यहुदी लोकसब ओकरासबके आपने सासकसब सङे मिलके पावल आ बरनाबासके अपमान करैले आ पथलसे मारैके मन करल्कै।
तकरबाद तुरन्ते हाकिम पावल आ सिलासके लज्याके राइते ओइसबके घा-घौस धुया देल्कै। तब उ आ ओकर घरके लोकसब बप्तिस्मा लेल्कै।
महज पावल ओइसबके कहल्कै, “हमरौरके जे रोमके लोक चियै तैयो हमरासबके कोनो दोस नै देखके उसब हमरासबके मारपिट करल्कै आ जहलमे ढोइक देल्कै। अखुन छोरैले चाहैछै? यि नै हेतै। उसब आपनेसे आबे आ हमरासबके निकालके लजाबे।”
तब यि देखके सेनापती पावलके भितर लगेलै आ कोरासे मारैके आदेस दैत कहल्कै, “अकरा कोरासे माइर-माइरके पुछ तब यहुदीसब कथिले खिस्याल छेलै से पता लागतौ।”
तै बखत तु बिस्बासमे असथिर रह आ असल बिबेक बच्याके राख। कोइ-कोइ बिबेक अनुसार नै चलैके कारन आपन बिस्बासके नास कैनेछै।
ओइसबके पथलसे मारल्कै। कतहेकके आरिसे चिरके दुइ फाक कैरदेल्कै। कतहेकके तलबारसे काटल्कै। कतहेक लोक गरिबी, अतियाचार आ दुरबेबहार सहैत भेरा आ बकरीसबके छाला लग्याके अने-ओने घुमैत रहलै।