20 कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही।
उसब बिधुवासबके घर हरैप लैछै आ देखाबटी बरका-बरका परथना करैछै। साच्चे एहेन लोकसब बेसीसे कठोर सजाय पाबतै।”
कोइ तोहर एकटा गालमे थपराइछौ त दोसरो गाल रोइकदहै। कोइ तोहर धोती आ कुरता लेजाइ बलाके पगरियो दया दहै।
हमसब अखुन्तो भुखल आ पियासल चियै, फाटल-चिटल बस्तर पिन्हैचियै आ मार-पिट खाइचियै आ हमरासबके रहैबला घरो-दुवार नै छै।
हमसब तोरासबके बिस्बासमे अधिकार जमाइले नै चाहैचियौ, बरु तोरासबके खुसिके लेल तोरेसबसे मिलके काम करैले चाहैचियौ। कथिलेकी तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर चिही।
परमेस्वरके सत ग्यानके बिरोधमे उठैबला बहस आ घमन्डसे भरल बाधाके हमसब नास करैचियै आ सब खराब बिचारके खिरिस्टके आग्यापालन कराबैले बसमे करैचियै।
जनङ सैतान साँपके रुप ल्याके चलाकिसे हब्बाके ठगल्कै, ओहिनङ खिरिस्ट परती तोरासबके इमान्दारी आ सुध भक्तीसे तोरासबके मन बहकतौ कि हमरा तकर डर लागैये।
हम तोरासबके भार नै भेलियौ, यि बात त तोरासबके थाहे छौ। हम चलाकी कैरके तोरासबके फसेलियौ कैहके कोइ-कोइ कहैछौ।
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
महज आब त तुसब परमेस्वरके चिन्हनेचिही या परमेस्वर तोरासबके चिन्हने छौ। महज तुसब कनङ फेर अइ सन्सारके कमजोर रितिरिबाज दिसन लागैचिही आ कथिले ओइसबके दास बनैले चाहैचिही?
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
तुसब हमर कहल बातसबसे दोसर दिसन मन नै लागबिही कैहके हमरा परभुमे पुरा भरोसाछै। जेसब तोरासबके बहक्याके गलत रस्तामे ल्याजेतौ ओइसबके परमेस्वर सजाय देतै।
बाहिरी रुपसे ठिक देखाइले चाहैबलासब तोरासबके खतना करैले कर-चाप लगाइतौ। यि बात उसब कुरूसमे देल खिरिस्टके बलिदानके कारन आबैबला सताबटसे बचैके लेल करैछै।
बिनास ओइसबके अन्त चियै, पेट ओइसबके देबता चियै, लाज मानैबला बातसबमे उसब घमन्ड करैछै। ओइसबके मन सन्सारिक बातसबमे मातरे लागल रहैछै।
तोरासबके थाहे छौ कि, हमसब तोरासबके चापलुसी नै करलियौ आ नै त कोनो चिज पेबै कैहके लोभ करलियौ। अकर साक्छी परमेस्वर स्वयम छै।