यदि तोरासबसे औरो परचार करैबलासब मुनासिब हकके दाबी करैछौ त कि हमरासबके झन बेसी हक नै छै? महज यि हक हमसब उपयोग नै करनेचियै। खिरिस्टके सुसमाचार सुनाबैले कोनो बाधा नै हेबे कैहके सबकुछ सैहके रहैचियै।
कि हम अस्थिर नै भेल जखा यि योजना बनाइने चियै कैहके तोरासबके लागैछौ? कि हम योजना बनाइतकाल सन्सारके लोक जखा एके छनमे “हँ” आ एके छनमे “नै” कैहके कहैचियै से?
तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्कै। हम तोरासबके बोझ पैहनियो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।