हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।