18 कथिलेकी जे आपन तारिफ आपनेसे करैछै, उ कोनो महत्वके बात नै चियै, महज जकर तारिफ परभु करैछै उ बहौत मुल्यबानके ठानल जाइछै।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “लोकसबके अगामे आपनके धरमी देखाइबला तुहिसब चिही, महज परमेस्वर तोरासबके हिरदयके बातसब जानैछौ, कथिलेत लोकसबके बिचमे जे बरका कहाइछै, परमेस्वरके नजरमे उ सबसे तुच्छ हैछै।
कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
जे एहेन किसिमसे खिरिस्टके सेबा करैछै, उ परमेस्वरके खुस करैछै आ लोकसबसे आदर पाबैछै।
खिरिस्टके नजरमे योग्य ठहरल अपेल्लेसके गोरलगी सुन्यादहै। अरिस्तोबुलसके घरमे भेल्हा लोकसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
साँचो यहुदी त हिरदयके भितरसे परमेस्वरके अगा सत ठहरैले परतै। तब साँचो खतना त देहके बाहरमे लगाइबला खतना नै महज परमेस्वरके आत्मा पाइबके हिरदय भितरेसे परिबरतन होनाइ चियै। एहेन लोक, लोकसबसे नै महज परमेस्वरसे आदर पाबैछै।
तोरासबमेसे सत लोकसब चिन्हैके लेल तोरासबमे बेमेल होनाइ जरुरी छै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
आपनके बरका सम्झैबला लोकसबसङे हमसब आपनके एकेटा दरजामे या तुलना करैले साहस नै करैचियै, महज उसब आपने आपके एक-दोसरसङे नाइपके देखैछै या तुलना करैछै आ उसब मुरुख लोक जखा हैछै।
महज तुसब असल जिबन जि कैहके हमसब परमेस्वरमे परथना करैचियै। हमसब आपने निक देखाबैके लेल परथना नै करैचियै, महज हमसब असफल जखा हेबै तैयो तुसब निक काम कर।
कि फेनसे हमसब आपने तारिफ करैले लागल चियै? कि कुछ औरो लोकसब जखा हमसब तोरासबलग आबैले या तोरासबसे हमरासबके दोसर लग जाइले सिफारिस चिठीके कोनो जरुरी छै?
हमसब फेनसे आपनेके तोरासबके अगा बराइ नै करैचियौ, बरु तोरासबके हमरासबमे गर्भ करैके मौका दैचियौ, ताकि तुसब ओकरासबके जबाफ दैले सक, जे लोक हिरदयके बातमे नै महज बाहरके बातमे घमन्ड करैछै।
महज हरतरहसे हमसब आपनेके परमेस्वरके सेबकसब चियै कैहके देखाइचियै। सब कठिनाइ, बिपत, सङकट आ दुखमे धिरजसे सहन करैचियै।
सरममे नै परैबला आ सतके बचनके ठिकसे चलाबैबला कामदार जखा आपनेके परमेस्वरमे गरहन हैकेलेल एकदमसे कोसिस कर।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।