13 हमसब आपन अधिकारके सिमासे बाहर ज्याके घमन्ड नै करैचियै, महज परमेस्वरके तोकल सिमामे रैहके गर्भ करैचियै आ ओइसबके बिचमे काम करैके लेल सेहो ओहै सिमा भितर रैहके करैचियै।
धनिक लोक ओइसबको खुबि अनुसार एकटा नोकरके पाँचटा, दोसरके दुइटा आ तेसरके एकटा सोनाके डलर जिमा द्याके उ परदेस चैलगेलै।
ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्देस सन्सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ कि, तुसब आपनके बरका नै समझ महज परमेस्वरके देल बिस्बासके नाप अनुसार तुसब जहिनङ चिही तहिनङे सोच।
परमेस्वरके अनुगरहसे अपनासबके फरक-फरक किसिमके बरदानसब देनेछै ओहै अनुसार काम करे। यदि जकरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै त उ आपन बिस्बास अनुसार ओकर तरफसे अगमबानी बोले।
दोसर कोइके सुरु करल जगमे घर बनाबैबला जखा हम नै चियै महज खिरिस्टके बारेमे कहियो नै सुनल ठाममे सुसमाचार परचार करनाइ हमर उतकट इक्छाछै।
यि सब एके पबितर आत्माके काम चियै। उ आपन इक्छा अनुसार सब कोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
महज खिरिस्ट आपन अनुगरहके बरदान त आपन नाप अनुसार सब कोइके देनेछै।
परमेस्वर तोरासबके किसिम-किसिमके बरदान देनेछौ। एक दोसरके सेबा करैके लेल देल यि बरदानके पुरा सदउपयोग कर।