22 अपनासबमे उ आपन छाप लगाइने छै आ बैनाके रुपमे पबितर आत्माके अपनासबके हिरदयमे बास करैले देने छै।
महज जे ओकर गबाही सुइकार करने छै, उ लोक परमेस्वर सत छै कैहके गबाही दैछै।
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
ओकर खतना बिस्बास दुवारा धरमी ठहरल चेन्हा चियै। अहिनङ कैरके उ खतना नै करल महज परमेस्वरमे बिस्बास कैरके धरमी ठहरैबला लोकसबके आत्मिक पुरखा भेलै।
सिरिस्टी करल चिज मातरे नै, अपनोसब भितरे भितर दुखसे कुहरैचियै। अपनासब परमेस्वरके परतिग्याके रुपमे पबितर आत्मा पाबनेचियै। ओहैसे अपनोसबके कहिया पुरा हकबला ओकर सन्तान बनेतै आ सब खराब बातसे अपनासबके देहके छुटकरा देतै कैहके असियाल चियै।
यदि साँचोके परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्टके आत्मा नै छै त, उ खिरिस्टके लोक हेबे नै करतै।
परमेस्वरे अपनासबके स्वरगिय देहके पाबैके लेल तयार करने छै, जकरा पक्का करैके लेल बैनाके रुपमे उ आपन पबितर आत्माके देनेछै।
परमेस्वरके पबितर आत्माके दुखी नै बना, कथिलेत पबितर आत्मा तोरासबके छुटकाराके दिनके खातिर भेटल छाप चियौ।
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
‘जकरा कान छै, उ पबितर आत्मा मन्डलीसबके कथी कहैछै से बात सुने। जे जित हासिल करतै, तकरा हम गुप्तमे भेल खाइबला मन्न देबै। हम ओकरासबके एकटा उजर पथल देबै, जैमे लया नाम लिखल रहतै। यि उजर पथल पाबैबला मातरे उ नाम जान्तै।’”
“हमसब आपन परमेस्वरके सेबकसबके कपारमे छाप नै लगाबैतक पिरथिबी या समुन्दर या गाछ-बिरिछके बिगार नै कर।”
ओइसबके घास या गाछसबके कोनो हानी नै कर महज कपारमे परमेस्वरके छाप नै लागल लोकसबके मातरे नोक्सानी करिहे कैहके आदेस देल्कै।