10 उ अपनासबके मिरतुके मुहसे बचेल्कै आ बचेतै आ ओकरमे फेनसे हमसब बाच्बै कैहके पुरा रुपसे भरोसा करनेचियै।
तहिलेल यहुदीसब हमरा मन्दिरमे पकैरके मारैले कोसिस करल्कै।
हम यहुदिया परदेसमे भेल परमेस्वरमे बिस्बास नै करल लोकसबसे बचैले सकि आ जे रुपैया-पैसा पुगाबैले हम यरुसलेम ज्यारहल चियै तकरा ओइ ठाममे परमेस्वरके पबितर जनसब खुसीसे सुइकार करैले सके कैहके परथना कैरदिहे।
हमरासब त आब मैर जेबै जखा लागल छेलै। हमसब आपनेमे भरोसा राखैके लेल नै, महज मरलहासबके जियाइबला परमेस्वरमे भरोसा करे सकि कैहके यि हैले एलै।
हमरासबके निकसे चिन्हीयोके अनचिन्हार जखा करैछै। मरे लागल चियै तैयो जियल चियै। सजाय पाबनेचियै तैयो मारलगेल नै चियै।
ओहै कारनसे हमसब एकदम मेहनत करैचियै आ हरदम सङघरसमे लागल रहैचियै। कथिलेकी अपनासबके आसा जिबित परमेस्वरमे छै। परमेस्वर सब मानब जातीके आ खास कैरके बिस्बासीके मुक्तीदाता चियै।
तैयो परभु हमरसङे रैहके हमरा सक्ती देल्कै। तहैले हम गैर-यहुदी लोकसबके परमेस्वरके सुसमाचार निकसे सुनाबे सकलियै। अहिनङे परभु हमरा सिंहके मुहसे बचेल्कै।
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।