6 बास्तबिक्ता त यि चियै कि सन्तोस कैरके परमेस्वरके भक्ति करनाइ सबसे बरका धन चियै।
तब येसु भिरमे भेल्हा सब लोकसबसे कहल्कै, “सब परकारके लोभ लालच करैसे होसियार रह, कथिलेत लोकके जिन्गी ओकर धने सम्पैतमे अरल नै रहैछै।”
सिपाहीयोसब पुछल्कै, “हमरासबके कथी करेपरतै?” युहन्ना ओकरासबके कहल्कै, “तुसब ककरोसे जबरजस्ती कैरके आ झुठा आरोप लग्याके एको टका बेसी नै उठा। बरु आपने कमाइमे सन्तुस्ट रहैजाइजो।”
अपनासबके थाहछै कि, परमेस्वरके परेम करैबला आ ओकर उदेस्य अनुसार बोल्याल लोकसबके लेल सब बातमे परमेस्वर भलाइ करैछै।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
कथिलेकी हमर जिबन जियैके मतलब खिरिस्टके लेल जिनाइ चियै महज मरनाइ हमर लेल लाभ चियै।
देहके कसरत करनाइ असल चियै, महज आत्मिक कसरत करनाइ औरो असल चियै, कथिलेकी अखुन आ आबैयोबला जिबनमे फैदाके लेल परतिग्या करने छै।
ओहेन चियै त अपनासबके खाइले पिन्हैले भ्यागेलै त, ओहैमे सन्तोस करे परतै।
तुसब आपन जिबनके रुपैया पैसाके मोहसे दुर राख। तोरासबसङे जे छौ ओहैमे सन्तोख कर, कथिलेकी परमेस्वर कहनेछै, “हम तोरा कोनो हालतमे नै छोरबौ, हम तोरा कोनो हालतमे नै त्यागबौ।”