22 तु मन्डलीमे अगुवा नियुक्त करैके लेल झट-पट ककरो उपर हाथ राखैबला काम नै कर। आनगोराके पापमे सहभागी नै हो। तु अपने-आपके पबितर राख।
तब उपासे रैहके आ परथना कैरके उसब ओकरौरके उपर हाथ राइखके परथना कैरके पठादेल्कै।
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”
तै खातिर आइ हम तोरासबके गबाही दैचियौ कि, यदी तोरासबमेसे कोइगोरे नास हेबे त तकर दोसी हम नै हेबौ।
तकरबाद उसब ओइलोकसबके परेरितसबके सामने आनल्कै आ परेरितसब ओकरासबके उपर आपन-आपन हाथ राइखके परथना करल्कै।
अन्हारमे काम नै लागैबला कामसबमे सहभागी नै हो। बरु उ काम खराब छै कैहके देख्यादहै।
पहिने ओइसबके जाँच हैलेपरतै। यदि ठिक ठहरतै त, उसब डिकन रैहके सेबा करे सक्तै।
तै खातिर मन्डलीके एकटा अगुवा हैकेलेल यि जरुरी छै जे उ दोस बिनाके हैकेचाही, ओकरा एकेटा घरबाली हैकेचाही, उ धिरजी, सम्झदार, भलादमी, मेजमानसबके मान-दान आ लोकसबके असलसे सिखाइबला हैकेचाही।
अगुवा भरखरके बिस्बासी नै हैकेचाही। नै त अनङ नै हेबे कि उ घमन्डसे फुइलके सैतान जखा दन्डके भागिदार हेबे।
जबान भेलाके कारन कोइ नै तोरा निच ठाने। बरु तु बोलि-बचनमे, चाल-चलनमे, परेममे, बिस्बास आ पबितरतामे बिस्बासीसबके अगा एकटा नमुना बन।
जे बरदान अगुवासब आपन हाथ तोहर उपरमे राइखके अगमबानीसे पाबने छेल्ही, ओकरा पुरा सदउपयोग कर।
तै खातिर हम तोरा याद कराइले चाहैचियौ कि, हम तोहर उपर हाथ राखै बखत जे बरदान परमेस्वर तोरा देने छेलौ, तकर पुरा सदउपयोग कर।
बहौतरा साक्छीसबके अगा जे बात तु हमर मुहसे सुनने चिही, से बात औरो लोकके सिखाइले सकैबला बिस्बास योग्य लोकसबके सोइप दहै।
बहुत किसिमके बप्तिस्माके बारेमे सिक्छा, हाथ राखैबला काम, मरलसे जियैबला बात आ कहियो खतम नै हैबला दन्डके बारेमे तोरासबके सिखाइते नै रहेपरतौ।
कथिलेकी जे कोइ ओकरा गोरलगी करैछै, उ लोक ओकर दुस्ट काममे सहभागी हैछै।
स्वरगसे एकटा दोसर अबाज एहेन कहैत हम सुनलियै, “हे हमर लोकसब, ओतेसे निकैलके या। नै त तुहुसब महानगरीके पापसबमे सहभागी हेब्ही आ ओकर बिपतसब तुहुसब भोगबिही।