21 हम तोरा परमेस्वर, खिरिस्ट येसु आ चुनलगेल स्वरगदुतके अगा करा आग्या द्याके यि कहैचियौ कि भेदभाव बिना यि नियमसब पालन कर। पक्छपात कैरके कोनो काम नै कर।
तब उसब येसुके फसाइले पुछल्कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै, अहाँ सहि बात बोलैचियै, असल बात सिखाइचियै आ ककरो पक्छपात नै करैचियै, महज अहाँ त सत्यतासे परमेस्वरके रस्ता देखाइचियै।
परमेस्वर आ खिरिस्ट येसुके अगा, जे आपन राज अस्थापना करैले एतै आ उ जियल आ मरल सबके नियाय करतै, तै बातके धियानमे राइखके हम तोरा करा आग्या दैत कहैचियौ कि
महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नम्र, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै।