12 अहै तरहसे उसब पैहने खिरिस्टमे करल आपन परतिग्या भङ कैरके दोसी ठहरतै।
यदि कोइ भुख्याल चिही त, उ आपन घरमे खेबे। ताकि तुसब एकसाथ भेला हेब्ही त दोसी नै ठहरबिही। औरो बातके बारेमे हम तोरासबलग एबौ त आदेस देबौ।
तोरासब खिरिस्टके अनुगरहमे बोलाइबला परमेस्वरके अतहेक जल्दी बिसैरके दोसर सुसमाचार दिसन लागल देखके हमरा त एकदम ताजुब लाइगरहल छै।
महज जबान उमरके मसोमातनीसबके नाम मसोमात सुचिमे नै लिख, कथिलेकी जब ओइसबके सारिरीक इक्छाके कारनसे खिरिस्टसे दुर ल्याजेतै, तै दुवारे उसब बियाह करैले ताक्तै।
उसब अङने-अङने चलैबला आदत पैरके कोरनी आ चुगली लगाइबाली हैछै। ओतबे नै उसब नै बाजैबला बातसब बतियाइछै आ दोसरके काममे टाङ अराबैबाली हैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबमेसे बहौत गोरा मन्डलीमे बचन सिखाइबला हैले नै खोज, कथिलेकी सिक्छा दैबलाके नियाय दोसर लोकसे बेसी कठोरसे हेतै से तुसब जानैचिही।
नियाय हैबला समय आइबगेल छै आ यि नियाय परमेस्वरके आपने लोकसबसे सुरु हेतै। हमरासबके नियाय हैछै त, परमेस्वरके सुसमाचार कहियो नै बिस्बास करैबलाके दसा केहन हेतै?