22 सब अधलाह बातसबसे दुर रह।
तुसब ककरो खराबके बदला खराब नै कर। जे चिज सबलोकके नजरमे आदरनिय छै, तैमे धियान दहै।
तैखातिर हमर खाइबला चिजसे हमर आपने बिस्बासी भाइ नास हैछै त हमर भाइ नास नै हेबे कैहके हम कहियो मासु नै खेबै।
हमरासबके करल सेबकाइमे कोइ दोस लगाबैके मौके नै पाबे कैहके हमसब ककरो बाधा दैबला काम नै करैचियै।
अन्तमे, भाइ-भैयासब, जे बात सत छै, जे बात असल छै, जे बात नियाय संगत छै, जे बात पबितर छै, जे बात परेम योग्य छै, जे बात किरपाके योग्य छै, अरथात जे आदरके योग्य छै आ परसन्साके योग्य छै तैमे मन लगा।
अनङ करबिही त, खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसब सेहो तोरासबके आदर करतौ आ तोरासबके ककरो उपरमे भर नै परे परतौ।
महज सब बातके जाँच कर आ जे चिज असल छै ओइके पकरने रह।
अपनासबके सान्ती दैबला परमेस्वर आपनेसे हरतरहसे तोरासबके पबितर राखे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक तोरासबके आत्मा, परान, देह निरदोस रहे से हमर आसा चियै।
दोसरके, नियायके आइगमे परलहासबके झटसे तान। दोसरके दया करैतखिना होसियार रह, पापके दाग लागलहा सबके बस्तरो सहितके घिरना कर।