11 ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
तैल्याके अपनासब उ बातसबके अनुसरन कर जे बात सान्ती लाबैछै आ एक-दोसरके बिस्बासमे बलगर बनाइले मदत करैछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम जानैचियै कि तुसब असल चिही, सब परकारके ग्यानसे भरपुर आ एक-दोसरके सिक्छा दैले योग्यके चिही।
हमसब सब गोरे आपन-आपन परोसियाके भलाइ आ बिस्बासमे बौकार बनाबैके लेल ओकरासबके खुस करैले परतौ।
तोरासबमेसे कोइ-कोइ कहैचिही, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे भलाइ नै हैछै। दोसर सब कहैछै, “सब चिज करैले पाबैछै” महज सब चिजसे फैदा नै हैछै।
तहिनङे तुसब आत्मिक बरदानसबके खातिर एकदमसे इक्छा करलासे, उ बरदानसब बेसिसे परयोग कर। अनङ करबिही त मन्डलीके बिस्बासीसब आत्मिक तवरसे बलगर हेतै।
अगमबानी बोलैबला दुइ या तिन गोरा हेबे आ ओइसबके बोलल बात ठिक छै कि नै छै से औरोसब जाँच करे।
तु सबकोइ आन भसा बोल कैहके हम चाहैचियौ, महज ओकरसे बेसि तुसब अगमबानी बोल कैहके हम चाहैचियौ। कथिलेत आन भसामे बोलेसे त बरु अगमबानी बोलनाइ बरका चियै। आन भसाके अरथ खोइल दैबला लोक रहतै तब मातरे मन्डलीके बिस्बासीसबके आत्मिक तवरमे बलगर बनाइतै।
भ्यासकैछै, हमसब यि सब आपन बचाबके लेल करैचियै कैहके आपन मनमे बिचार करैचिही। महज एहेन नै छै! पिरियसब, हमसब परमेस्वरके अगा खिरिस्टमे बोलैचियै। यि सबकाम तोरासबके बलगर बनाइके लेल करैचियौ।
खिरिस्टके सब पबितर जनसबके ओकर काम करे सकैबला बनाइले आ ओकर देह मन्डलीके बलगर बनाइले सके कैहके नियुक्त करल्कै।
ओकरे अधिनमे देहके सब अङ ठिक-ठिक ठाममे जोरल गेल्छै आ सब अङसब आपन-आपन काम करतै त पुरे देह परेममे बरहैत बौकार हैतजेतौ।
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
बास्तममे तुसब त माकेडोनिया परदेसके सब बिस्बासीसबके ओहिने परेम करैचिही, अहैलेल देख भाइ-भैयासब, तुसब औरो बेसीसे परेम कैरतेजो कैहके हमसब बिन्ती करैचियौ।
अहैलेल यि बातसबसे एक दोसरके उत्साह दैत रह।
ओइसबके बनोतरी बात-कथा सबमे आ नै सकैबला बंसाबलीसबमे नै ओझराल रह कैहके आग्या दहै। कथिलेत एहेन बातसबसे बाद-बिबाद मातरे हैछै आ परमेस्वरमे बिस्बासके जिबन बिताइबलासबके कोनो फैदा नै करैछै।
कतहेक लोकके सङगतीमे जाइके बानी नै रहैछै, महज अपनासब एकसाथ भेला हैले नै छोर। महज तुसब परभु आबैबला दिन नजदिक आइबरहल देखलाके कारनसे एक-दोसरके औरो हौसला दहै।
जबतक “आजुके दिन” कहैबला समयछै, तबतक एक दोसरके उत्साह दहै। ओहेन करबिही त, तुसब पापमे नै परबिही आ तोरासबके हिरदय परमेस्वरके इन्कार नै करतौ।
तुसब यि सब बात जान्बे करैचिही आ तोरासबके सिख्याल सत बातमे अस्थिर चिही तैयो हम यि सब बात तोरासबके हरदम याद दिलाइते रहबौ।
महज, पिरिय भाइसब, तुसब एकदम पबितर बिस्बासमे बौकार हैत जो। पबितर आत्माके सक्तीमे रैहके परथना कर।