16 कथिलेकी परभु जखने हुकुमके अबाज देतै आ परमुख स्वरग दुतके अबाज आ तुरहीके अबाज हेतै तखने खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहा लोकसब सबसे पहिने जिबित भ्याके उठतै।
कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।
साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
येसु ओकरा कहल्कै, “से बात अहि कैहदेलियै। तैयो हम तोरासबके कहैचियौ, एक दिन तुसब मानबके बेटाके सक्तीसाली परमेस्वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलमे आबैत देखबिही!”
उसब कहल्कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठडा भेलचिही? येसु त स्वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
तब त खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहासब सेहो नास भेल छै।
बास्तममे, खिरिस्ट त मरलसे जीयाल छै, जे मरलसबमेसे पहिल्का फल चियै।
महज हरेक लोक आपन-आपन पालमे जीके उठतै। सबसे पहिने खिरिस्ट जीके उठतै, तकरबाद खिरिस्ट फेर एतै तखैन ओकरमे बिस्बास करैबला सबकोइ जीके उठतै।
तुसब त परमेस्वरके बेटा येसु जे स्वरगसे एतै कैहके बाट ताइकरहलचिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै उ येसु चियै। परमेस्वरसे आबैबला करोधसे अपनासबके बचाइबला ओह्या चियै।
आब अपनासबके परमेस्वर पिता आपनेसे आ अपनासबके परभु येसु हमरासबके लेल तोरासबलग आबैले रस्ता खोइलदेबे।
परमेस्वरमे दुख सहैबला तोरासबके आ हमरासबके छुटकारा देतौ। यि त तब हेतै, जब परभु येसु स्वरगसे धधकैत आइगमे आपन सक्तीसाली स्वरगदुतसबसङे परगट हेतै तब यि सब करतै।
भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनो एतै। हमसब एकेसाथ ओकरसङे भेटब, महज हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
महज परभुके नियाय करैबला दिन चोर एल जखा अनचेकेमे एतै। ओइ दिन सब अकास-मन्डल बरका अबाज कैरके बिलाजेतै, सुरुज, चान आ तरासब जैरके भस्म हेतै। पिरथिबी आ ओइमे भेल सब चिज नास हेतै।
महज परधान स्वरगदुत मिखाएल सेहो मोसाके लहासके बारेमे सैतानसे तरक बितरक करैतखिना ओकरा अपमान कैरके दोख नै लगाइल्कै। खाली, “परभु तोरा फटकारतौ” कहल्कै।
परभुके दिनमे हम पबितर आत्मासे भरलछेलियै आ हमर पछा दिसन एकटा तुरहीके जखा अबाज हम अनङ कहैत सुनलियै।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”
हम देखलियै, अकास उपरमे एकटा गरुर जोरसे अनङ कहैत सुनलियै, “पिरथिबीमे रहैबलासबके धिक्कार! धिक्कार! धिक्कार! कथिलेकी औरो बाकी रहल तिन स्वरगदुतसब तुरही फुक्तै त पिरथिबीमे परैबला बिपत केहेन हेतै?”
तकरबाद परमेस्वरके अगा ठार रहैबला सात स्वरगदुतसबके देखलियै। परमेस्वर ओकरासबके एक-एकटा तुरही देल्कै।