15 परभुके कहल बचन अनुसारे त तोरासबके कहैचियौ कि परभु फेनसे आबैबला दिनतक अपनासब जिबित भेल्हासब कोनोभी हालतमे मरलहा लोकसबसे अगा ओकरा नै भेटबै।
उ कहल्कै, “हँ, तिरैछै।” तकरबाद पतरुस घर भितर गेलै आ येसु ओकरा पुछल्कै, “हे सिमोन, तु कथी बिचार करैचिही? अइ सन्सारके रजासब ककरसे बटी उठाबैछै? आपने बेटासबसे कि औरो लोकसबसे?”
तब त खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहासब सेहो नास भेल छै।
हमरा किछो फैदा नै हेतै तैयो गर्ब करैये परतै। आब हम परभुसे पाबलहा दरसनसब आ परभुसे परकट करल बातसब कहैचियौ।
हमसब जानैचियै कि परभु येसुके जियाइबला हमरोसबके येसु सङे जियाइतै आ वह्या हमरासबके आ तोरासबके आपनलग लजाइतै।
कथिलेकी हमरा यि कोनो लोकसे नै मिलल छै, नै यि हमरा सिखाइने छेलै, महज येसु खिरिस्ट आपनेसे हमरा परकट करने छै।
जब अपनासबके परभु येसु एतै, ओइ बखत ओकर अगा अपनासबके आसा, आनन्द आ घमन्डके मुकुटमे गर्भ करैबला कथी हेतै? कि यि तुहेसब नै चिही त?
देख भाइसब, मरलहा बिस्बासीसबके कि हैछै से तोरासबके थाह हेबे से हमसब चाहैचियै, ताकि आसा नै भेल्हा लोकसब जखा तोरासबके सोक करे नै परे।
परभु येसु आपनसबके खातिर अइलेल मरलै कि उ फेनसे आबैबखत अपनासब जिते हेबे चाहे मरल हेबे ओकरेसङे जिबन जियैले सकब।
भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनो एतै। हमसब एकेसाथ ओकरसङे भेटब, महज हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,