हे हमर भाइसब, मोसाके पछा लागैबला अपनासबके पुरखासबके कि भेल छेलै से बात हम तोरासबके याद दिलाबैचियौ। उसब सब गोरेके मिसर देससे बादल रस्ता देखाइत ल्यागेलै आ उसब समुन्दरके बिचसे पार भ्याकेगेलै।
ओइ बखत तुसब खिरिस्टके नै चिन्हैबला लोक छेल्ही। तुसब परमेस्वरके छानल इजराएलीसबसङे समबन्ध नै भेल्हा बिदेसी छेल्ही। परमेस्वर आपन लोक इजराएलीसङे करल परतिग्यासबसे जोरल करारमे तोरासबके कोनो जगह नै छेलौ, तब सन्सारमे तुसब बिना आस आ बिना परमेस्वरके छेल्ही।