11 हमसब तोरासबके कहने छेलियौ तहै बमौजी सान्तीमे जिबन बिताबैके लक्छ राख, आपन आपन काममे लागल रह आ आपने हाथसे कमाइले बेसी से बेसी कोसिस कर।
यि त एकटा लोक बिदेस गेल जखा चियै। जाइसे पहिने उ आपन नोकर-चाकरसबके घरमे सब काम-काजसबके जिम्मा लग्याके आ पहरेदारके जागल रह कैहके आग्या द्याके बिदेस गेल जखा चियै।
उसब पाल बनाइबला काम कैरके जिबीका चलाबैतरहै। पावल ओकरेसबकेसङे रहलै कथिलेत ओहो ओहैसब जखा पाल बनाइनला काम कैरके जिबीका चलाबैतरहै।
हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
करैबला काममे कोरहिया नै बन महज पबितर आत्मामे जोसगर हो आ परभुके सेबा करैतरह।
दोसर कोइके सुरु करल जगमे घर बनाबैबला जखा हम नै चियै महज खिरिस्टके बारेमे कहियो नै सुनल ठाममे सुसमाचार परचार करनाइ हमर उतकट इक्छाछै।
हमसब आपन हाथसे काम कैरके मेहनत करैचियै। जे हमरासबके सराप दैछै ओकरासबके हमसब आसिरबाद दैचियै आ सताबट आबैछै त हमसब सहैचियै।
ओहैसे हमसब चाहे देहमे या चाहे देहसे अलग रैहके, ओकरा खुसी बनाबैके हमरासबके लक्छ चियै।
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
रजा आ हाकिमसबके लेल परथना कर ताकि हमसब सुख सान्तीसे परमेस्वरके भक्ति करे आ आदरके जिबन बिताबे सकी।
उसब अङने-अङने चलैबला आदत पैरके कोरनी आ चुगली लगाइबाली हैछै। ओतबे नै उसब नै बाजैबला बातसब बतियाइछै आ दोसरके काममे टाङ अराबैबाली हैछै।
आपन लोकसब असल काममे लागल रहे, ताकी आवसयक परल समयमे सहायता देबे सके आ बेरथमे जिबन नै जिये।
बरु तोरासबके भितरी हिरदयके नरम आ सान्त आत्माके नास नै हैबला मोतिसे सजा, जे परमेस्वरके नजरमे बहौत मोलके चियै।
महज तोरासबमेसे कोइ नै हतिया, चोरी, खराब काम कैरके या औरोके काममे फैसेके दन्ड नै भोग।