12 जहिना हमसब तोरासबके परेम करैचियौ ओहै तरहसे परभु तोरासबके एक दोसरसङे आ सब लोकसबसङे परेममे औरो बेसीसे बरहाइत रहे कैहके हमसब परथना करैचियै।
दोसर फेनो अहिनङे चियै, ‘तु आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।’
“लोकसब तोरासबसे जेहन बेबहार करे कैहके चाहैचिही त, तुहुसब ओइसबसे तहिना बेबहार कर, कथिलेत मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके सिक्छाके मुल बात एह्या चियै।
तब परेरितसब येसुके कहल्कै, “परभु हमरासबके बिस्बास बरहा दिय।”
एक-दोसरके परेम करै बाहेक औरो कोनो चिजमे ककरो रिनी नै हो। कथिलेत जे आपन परोसियाके परेम करैछै उ बेबस्था पुरा करैछै।
परमेस्वर खेति-किसानी करैबलासबके छिटैले बिया आ खाइले भोजन दैबला तोरासबके बिया देतौ आ ओइमे बहौत बिरधी कैरदेतौ तब तोरासबके धारमिकताके बाली बरह्यादेतौ।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
हमर परथना एह्या चियै, कि तुसब परेम आ ठिक-बेठिक छुटयाबैबला बुइधमे झन-झन परसस्त कैरके बैढते जाय,
हमसब तोरासबके बेसी परेम करलाके कारन परमेस्वरके सुसमाचार मातरे नै बल्की आपन परानो तक दैले तयार भेलियै। कथिलेकी तुसब हमरासबके लेल कतेक पिरिय भेल छेल्ही।
अन्तमे हमर भाइ-भैयासब परमेस्वरके मनपरैबला जिबन कनङके जियैछै से हमसब तोरासबके सिखेलियौ ओहिनङके फेनु तुसब जियैचिही। तोरासबके जिबन औरो बहौत असल हेबे कैहके परभु येसुके नाममे हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
सब असल आ सब सिध दान स्वरगसे आबैछै। यि बरदान इजोतके पितासे आबैछै। उ छाह जखा कहियो नै बदलैछै।
भक्तीमे भाइ-भैयाके इसनेह, भाइ-भैयारीके इसनेहमे परेम थप।
महज अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनुगरह आ ग्यानमे बरहैत जो। ओकर महिमा अखैन आ सबदिन हेबे। आमेन।