मुख बात यह्या चियै कि तोरासबके चाल-चलन खिरिस्टके सुसमाचार अनुसार सोहाइबला हेबे। हम चाहे तोरासबके भेट-मुलकात करी, चाहे दुर रही तुसब एकेटा उदेस्य ल्याके अस्थिर चिही आ एकेटा मन भ्याके सुसमाचारके बिस्बासके लेल मेहनत कैररहल चिही कैहके हम सुनैले पाबी।
परमेस्वरे हमरौरके बचेल्कै आ आपन पबितर बोलाबटसे बोलाइल्कै। हमरौरके काम देखके नै, महज उ आपन इक्छा आ अनुगरहसे करने छै, जे उ खिरिस्ट येसुमे जुगो-जुग पहिनेसे हमरासबके देने छेलै।