8 तोरेसबके केबल माकेडोनिया आ अखैयामे मातरे नै महज परमेस्वरके बचन तोहरसबके बिस्बासके बात सेहो सब ठामसबमे फैलगेलै। अहैलेल अकर बारेमे औरो कुछो कहैके जरुरी नै छै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
तुसब परमेस्वरके आग्यापालन करैचिही कैहके सब बिस्बासी जानैछै, तैल्याके हम एकदम खुस चियौ। महज तुसब असल काममे बुधिमान हो आ जे खराब छै, तैसे अलगे रह से हम चाहैचियौ।
कि परमेस्वरके बचन तोरेसबसे सुरु भेलछौ? कि उ बचन तोरेसबलग मातरे एलछौ?
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, उ अपनासबके खिरिस्टमे सबदिन बिजयके लेल चलाबैछै। ओकर ग्यानके गमक अपनासबसे हरेक जगहमे फैलाबैछै।
तुसब हमरासबके चिठी चिही से हमसब कैह सकैचियौ, कथिलेकी खिरिस्टसे परमेस्वरमे हमरासबके पुरा भरोसा छै।
खिरिस्टके बचनसे तोरासबके हिरदय परसस्त कैरके भरल रहे। आपन पुरे ग्यान-बुइधसे एक दोसरके सिखा आ सल्लाह दैबला काम कर। परमेस्वरके हिरदयसे धन्यबाद दैत भजन, इस्तुति-परसन्सा आ आत्मिक गितसब गाब।
अहै खातिर सब परकारके सताबट आ कस्ट सैहरहल साहस देखके अस्थिर आ बिस्बासके बारेमे मन्डलीके बिचमे हमसब गौरब करैचियै।
अन्तमे हमर भाइसब, हमरासबके लेल परथना करैतरह, ताकि परभुके बचन तोरासबके बिचमे फैलल जखा जल्दीसे फैले आ अकर आदरकेसाथ सुइकार हेबे।
तैदुवारे हरेक ठाम जते आराधना हैछै, ओते पुरुखसब बिना रिस-खिस आ बाद-बिबाद आपन पबितर हाथ उठाके परथना करे कैहके हम चाहैचियै।
ओह्या सुसमाचार जकर खातिर हम दुख काटैचियै आ अपराधी जखा झिझिरसे बान्हल चियै। महज परमेस्वरके बचनके बान्हे नै सक्तै।
डेमेतिरियसके बारेमे सबलोक असल गबाही दैछै आ उ सतमे चलैछै से बात ओकर जिबनसे सत आपनेसे साक्छी देनेछै। हम्हुसब ओहै बातके गबाही दैचियै आ तुसब जान्बे करैचिही कि, अपनासबके गबाही सत छै।
तब हम बिच अकासमे उरैत दोसर स्वरगदुतके देखलियै। पिरथिबीमे रहैबला हरेक जाती, कुल, भसा आ देसके लोकसबके सुनाबैले ओकरसङे अनन्त सुसमाचार छेलै।
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!