9 बिस्बासमे बौकार भ्याके सैतानके बिरोध कर। कथिलेकी सन्सारमे भेल औरो बिस्बासीसब सेहो अहिनङे दुख भोइगरहलछै से बात तोरासबके थाहेछौ।
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
आपन हिरदयमे सैतानके काम करैले नै दहै।
आपन रक्छा करैबला बिस्बासके ढाल हरदम हाथमे लेने रह। तकरबाद दुस्ट सैतानके अग्निबानसब बुताइले सकबिही।
कथिलेत हम देहमे तोरासबसे दुर चियौ तैयो आत्मामे त तोरेसबसङे चियौ। खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास एकदम अस्थिर भेल देखके हम बहुत खुसी भेलचियौ।
ताकि कोइ दुख भेल बखतमे कोइ हतास नै हो कैहके हमरासबके इक्छाछै। सताबट त अपना बिस्बासीसबके जिबनमे अबस्य आबैछै से बात तोरासबके थाहे छौ।
बिस्बासके उतम लराइ लर। अनन्त जिबनके पकरने रह, कथिलेकी यह्या जिबनके लेल परमेस्वर तोरा बोलेल्कौ आ अहैके लेल तु बहुतो गोराके अगा आपन असल साक्छी देने चिही।
येसु खिरिस्टमे भक्तीके जिबन बिताइले चाहैबलासबके सताबटके सामना करैए परतै।
हम उत्तम लराइ लरने चियै। हम आपन दौर पुरा करनेचियै आ आपन बिस्बासमे अटल चियै।
उसब त बिस्बास दुवारा राजसबके जितल्कै, नियायके साथ राज करल्कै, परमेस्वरके परतिग्या करल चिजसब पाबल्कै आ सिंहसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
यदि परमेस्वर आपने बेटा-बेटीसब जखा तोरासबके अनुसासनमे नै राखनेछौ त साँचो बेटा-बेटी नै चिही, महज तुसब औरोके बेटा-बेटीसब चिही।
तै खातिर परमेस्वरके अधिनमे रह। सैतानके बिरोध कर आ उ तोरासबके लगसे भाइगजेतौ।
यि तोरासबके लेल बहौत खुसीके बात चियौ, ओनङ त, अखैन कुछ समयके लेल तरासबके बहौत परकारके कस्ट भोगेपरल छौ।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबके यह्या कामके लेल चुनल्कौ, खिरिस्ट तोरासबके लेल दुख भोगल्कौ आ उ एकटा उदाहरन बन्लै। आबसे तुसब ओकर देख्याल बाटमे चलेपरतौ।
यदि असल काम कैरतोपरभी दुख भोगैले परतौ त, तुसब आसिस पाबबिही। तहैलेल लोकके धम्कीसे नै डरा, नै त चिन्ता कर।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
परमेस्वर ओइसब हरेकके एकटा-एकटा उजर बस्तर देल्कै आ ओकरासबके अनङ कहल्कै कि तोरासबके सङी सेबक आ भाइसबके तोरेसबके गन्ती जतहेक नै मारैतक बिसराम कर।
हम ओकरा कहलियै, “गुरु जी, हमरा थाह नै छै। अहिके थाहछै।” उ हमरा कहल्कै, “उसब त बरका भारी सताबट सैहके एलछै आ उसब आपन-आपन बस्तर थुमाके लहुसे धोइबके उजर बनाइनेछै।