8 सबसे मुख बात यि चियै कि तुसब एक दोसरके पुरा मनसे परेम कर, कथिलेकी परेमसे बहुतो पापसबके झाइपदैछै।
यदि हम लोकसबके किसिम-किसिमके भसा आ स्वरगदुतसबके भसामे बाज्बै महज हमरमे परेम नै छै त, हम टिङ-टिङ बजैबला घन्टी या झाइ-झाइ करैबला झाइल मातरे हेबै।
परेम सहनसिल आ दयालु हैछै। परेम डाह नै करैछै, नै आपनके बरका ठानैछै आ नै घमन्ड करैछै।
यि सब गुनसबसे बेसी परेमके धारन कर कथिलेत परेमे सब बातके पुरा एकतामे आनैछै।
जहिना हमसब तोरासबके परेम करैचियौ ओहै तरहसे परभु तोरासबके एक दोसरसङे आ सब लोकसबसङे परेममे औरो बेसीसे बरहाइत रहे कैहके हमसब परथना करैचियै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
एक दोसरके भाइ-भैयासब जखा परेम करैतरह।
हे हमर भाइ-भैयासब, सबसे बरका बात त यि छै जे स्वरगमे या पिरथिबीमे भेल या औरो कोनो चिजके नाउमे किरिया नै खो। बरु तुसब दोसी नै ठहरैके लेल “हँ” त “हँ” आ “नै” त “नै” कह।
उ लोक जाने कि, एक गोरा पापीके ओकर गलत बाटसे घुमाके लाबैछै त, ओकरा मिरतुके मुहसे बचाइतै आ बहौत पाप छमा पाबैके लेल सहायता करतै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
पिरिय सङी तोहर सबचिज असल हेबे आ आत्मिक जिबन स्वस्थ्य रहल जखा तोहर सारिरीक जिबन स्वस्थ्य रहे कैहके हम परथना करैचियौ।