14 यदि असल काम कैरतोपरभी दुख भोगैले परतौ त, तुसब आसिस पाबबिही। तहैलेल लोकके धम्कीसे नै डरा, नै त चिन्ता कर।
ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातरे मारैछै, महज आत्माके नै मारे सकैछै। बरु ओकरेसङे डेरा जे आत्मा आ देह दुनुके नास कैरके नरकमे फेकैके सक्ती छै।
तै खातिर नै डरा, कथिलेत तुसब बहुत बगरासबसे औरो बेसी मुल्यबान चिही।
जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइतै, उ बचाइतै।
कथिलेत जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै। महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइछै, उ बचाइतै।
जे कोइ हमर खातिर आपन घरदुवार, भाइ-बहिन, माँ-बाबु, बेटा-बेटी आ जगहा-जमिन छोरैछै, उ सय गुना पाबतै आ अनन्त जिबनके हकदार हेतै।
येसु कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमरा आ सुसमाचारके खातिर आपन घरदुवार, माँ-बाबु, बेटा-बेटी, भाइ-बहिन आ जगहा-जमिन छोरतै,
कथिलेत जे आपन परान बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै, महज जे हमर लेल आपन परान गुमाइछै, उ आपन परान बचाइतै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
ओहैसे खिरिस्टके खातिर कमजोरीमे, बदनामीमे, कठिनाइमे, सताबटमे, आपत-बिपतमे हम सन्तुस्ट चियै। कथिलेकी जब हम कमजोर हैचियै, तब हम सक्तिसाली हैचियै।
कथिलेकी खिरिस्टके लेल तोरासबके यि देलगेलछौ, कि तुसब ओकरमे बिस्बास मातरे कैरके नै महज ओकर खातिर दुख सेहो भोगैले परतौ।
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
धिरज करैबला लोक आसिस पाबैछै से बात हमसब जानैचियै। अय्युब धिरज राखल्कै आ परभु ओकरा दया आ किरपा देखाइल्कै से बात ओकर जिबनमे अस्पस्ट देखापरैछै।
जनङकी सारा, आपन घरबला अबराहमके आपन पतिदेब माइनके ओकर कहल मानैछेलै। यदि तुहुसब कोनो बातके डर नै माइनके ठिक काम करबिही त, तुहुसब साराके बेटीसब कहाइबिही।