22 उ नै त कोनो पाप करल्कै आ नै त ओकर मुहसे छलकपटके बात निकल्लै।
पिलातस नियाय आसनमे बैठल छेलै, तखनिए ओकर घरबाली ओकरा एहेन कैहके खबर पठेल्कै, “ओइ निरदोस लोकके कुछो नै करियौ! कथिलेकी आइ रात हम सपनामे ओकरे कारन बहुत दुख काटलियै।”
आ कहल्कै “हम केहन पापी चियै, जे निरदोस लोकके मिरतुदन्डके लेल पकरादेलियै।” महज उसब कहल्कै, “यि बात तु आपने जान, ओइसे हमरासबके कोनो लेनादेना नै छौ।”
हमरासबके सजाय त उचित छै, कथिलेत हमरासबके जैहनङ करम करनेचियै ओहिनङ फल भोइगरहलचियै, यि लोक त तेहन कोनो नै निक काम नै करने छै।”
यि सब घटनासब देखके सैनिकसबके कप्तान एहेन कैहके परमेस्वरके महिमा करल्कै, “साँचोके यि लोक धरमी रहै।”
नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्कै, “देख, उ पक्के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
तोरासबमेसे कोइ परमानित करेसकैचिही कि हम पापके दोसी चियै? जब हम सत बाइजरहलचियै त कथिले हमरा बिस्बास नै करैचिही?
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
हे हमर दुलरुवा धियापुतासब, तुसब पाप नै करिहे कैहके यि बात तोरासबके खातिर लिखैचियौ। महज कोइ पाप करियोलेतै त अपनासबके दिसनसे पितासङे बिन्ती करैबला एक गोरा धरमी येसु खिरिस्ट छै।
तुसब जानैचिही कि लोकसबके पाप दुर करैले खिरिस्ट परगट भेलै आ ओकरमे कोनो पाप नै छै।
ओकरासबके मुहमे कोनो झुठ बात नै भेटलै, उसब दोस रहित छेलै।