महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।
यदि पसुके बलीसे पुरा सुध करैले सकतियै त बेर-बेर बली चरहाइले नै परतियै। कथिलेकी ओइसे बली चरहाइबलासब सुध हेतियै त सबदिनके लेल एके बेरमे सुध हेतियै आ ओकरासबके बिबेकमे पाप नै रहतियै।