16 तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
“यदी हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै।
तुसब पापसे छुटकारा पाइबके असल काम करैबला परमेस्वरके दास भेलचिही।
आब तुसब पापके बन्धनसे छुटकरा पाइबके परमेस्वरके दास भेलचिही। ओइसे तोरासबके पबितर बनाइतौ आ तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
कथिलेत परभु बोलाबैसे पहिने जे दास छेलै, आब उ परभुमे स्वतन्तर लोक भेलछै। तहिनङे परभु बोलाइसे पहिने जे स्वतन्तर छेलै, उ खिरिस्टके दास भेलछै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
तोरासबके काम खाली मालिकके खुस करैके उदेससे देखाबैके लेल नै कर, महज खिरिस्टके नोकर-चाकरसब जखा पुरे हिरदयसे परमेस्वरके इक्छा पुरा कर।
कथिलेत परभुके करल परतिग्याके उतराधिकार तुसब इनामके रुपमे पाबबिही कैहके थाहेछौ। तुसब परभु खिरिस्टके सेबा कैररहल चिही।
तोरासबके थाहे छौ कि, हमसब तोरासबके चापलुसी नै करलियौ आ नै त कोनो चिज पेबै कैहके लोभ करलियौ। अकर साक्छी परमेस्वर स्वयम छै।
महज जे लोकसबके छुटकरा दैबला सिध बेबस्था निहाइरके ध्यान लगाबैछै आ ओइमे लागल रहैछै, उ सुइनके नै बिसरैछै महज पालन करैछै, उ आपनेसे करल काममे आसिस पाबतै।
अहैलेल तोरौरके बोली आ बेबहार स्वतन्तरताके बेबस्था बमौजी नियाय पाबैबलासब जखा हेबे।
ओइसबके स्वतन्तर कराबैके परतिग्या करैछै महज उसब आपने भरस्टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।