24 कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “सब मानब जाती घास जखाछै आ ओकर सुन्दरता घासेके फुल जखा हैछै। घास सुइख जाइछै आ फुल झैर जाइछै,
जब परमेस्वर चौरीके घास, जे आइ छै काइलके आइगमे जराएल जेतै, तकरा अहिनङ सिङारैछै त, ए कमजोर बिस्बास करैबलासब कि तोरासबके औरो बेसीसे नै सिङगारतौ?
बिहानके कथी हेतै, तुसब किछो नै जानैचिही। तोहर जिन्गी कथी चियौ? तोरासबके जिन्गी त कुछ समय देखा परैबला आ बिल्या जाइबला बाँफ जखा त चियौ।
सन्सार आ सन्सारके कुइक्छासब ओर्या जाइछै, महज परमेस्वरके इक्छामे चलैबला लोक सबदिन जिबित रहतै।