14 तुसब आग्याकारी धिया-पुता जखा रह। अन्जानमे रहै बखत अधलाह इक्छा अनुसार जनङ करैछेल्ही तनङ नै कर।
अहैले पहिने अनजानमे करल कामके परमेस्वर धियान नै दैछै। महज आब परमेस्वर सब ठामके लोकसबके ‘आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव करै’ कैहके आग्या देने छै।
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
ओहैसे अपनासब सेहो ओकरसङे बप्तिस्मा दुवारा मैरके गारलगेलियै। जहिनङ सक्तिसाली परमेस्वर पिता आपन महिमा दुवारा येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करल्कै। आब अपनोसब पुरन्का जिबन जियैले छोइरके लया जिबनमे खिरिस्टसङे जिएपरतौ।
ओइ बखत तुसब सन्सारके पापी लोकसब जखा चलैछेल्ही आ अकासके सक्तीके मालिक, सैतानके मानैछेल्ही। जे परमेस्वरके नै मानैबला लोकसबके अखुन आपन बसमे राखनेछै।
कोइ नै बेरथके बात कैरके तोरासबके धोखा दैले पाबे। कथिलेत बेरथके बातसबके कारन परमेस्वरके दन्ड थेथरमे परैछै।
परमेस्वरके नै चिन्हैबला लोकसब जखा बेबिचारके ललसा नै कर।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।