5 के सन्सारके जिते सक्तै त? जे कोइ येसुके परमेस्वरके बेटा कैहके बिस्बास करतै, उ लोक मातरे सन्सारके जित्तै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “कथिले सक्बै कहैचिही? बिस्बास करैबलाके लेल सबकुछ सम्भब हैछै।”
[फिलिप जबाब देल्कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्बास करैचियै त बप्तिस्मा ल्यासकैचियै।” उ कहल्कै, “हम बिस्बास करैचियै जे येसु खिरिस्टे परमेस्वरके बेटा चियै।”]
येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै कैहके सुइकार करैबला लोकमे परमेस्वर बास करैछै आ उ लोक परमेस्वरमे बास करैछै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।