सैतान ओकरा कहल्कै, “हम यि सब राजके रजा, यि सब धन-सम्पतीके मालिक बन्यासकै चियै कथिलेत यि सब अधिकार हमर हाथमे देल छै आ हम जकरा चाहबै तकरा दयासकै चियै।
हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्वरके देल देह स्वरगमे अनन्ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी भ्याल लोक पाप कैरते नै रहैछै से बात अपनासब जानैचियै। कथिलेकी परमेस्वरके बेटा ओइसबके बचाइछै आ दुस्ट सैतान ओकरा छुबैले नै सकैछै।