14 परमेस्वरके इक्छा बमौजी जे कुछ माङैचियै उ अपनासबके परथना सुनैछै कैहके अपनासबके पुरा बिस्बास छै।
तुसब बिस्बास कैरके परथनामे परमेस्वरसे जे माङबिही से तुसब पाबबिही।”
अहाँ हमर बिन्ती सबदिन सुनैचियै से हम जानैछेलियै। महज चारुकात ठारभेल लोकसबके खातिर हम कहनेचियै, ताकि अहाँ हमरा यि सन्सारमे पठाइनेचियै कैहके उसब बिस्बास करे।”
तुसब हमर नाममे जे कुछ माङबिही, ओइसे बेटासे पिताके महिमा हेबे कैहके हम पुरा कैरदेबौ।
यदी तुसब हमरमे रहबिही आ हमर बचन तोरासबमे रहतौ त, तुसब जे माङैले चाहैचिही से माङ आ उ तोरासबके देतौ।
अखुनोतक तुसब हमर नाममे कुछो नै माङनेचिही। माङ त तुसब पाबबिही आ तहैसे तोरासबके आनन्द पुरा हेतौ।
हमसब जानैचियै कि परमेस्वर पापीसबके बात नै सुनैछै, महज ओकर आराधना करैबला आ ओकर इक्छा अनुसार काम करैबलाके बात परमेस्वर सुनैछै।
येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन हमसब साहस आ भरोसाके साथ परमेस्वरके अगा आबैले पाबैचियै।
अहैलेल तुसब आपन यि भरोसा नै तियाग। तोरासबके अकर बरका इनाम मिल्तौ।
यदि अपनासब खिरिस्टमे करल सुरुके भरोसाके अन्ततक जोगाके राखबै त, अपनोसब खिरिस्टसङे साझा हकदार हेबै।
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
तुसब माङैचिही महज नै पाबैचिही, कथिलेकी आपन अभिलासा पुरा करैके लेल बेठिक हिसाबसे माङैचिही।
ओहैसे यदि निक हैले चाहैचियै त आपन करल पाप एक-दोसरके अगा सुइकार कर आ एक-दोसरके खातिर परथना कर। धरमी लोकके करल परथनासे परमेस्वर सक्तिसाली आ परभावकारी तबरसे काम करैछै।
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।