6 अपनासब त परमेस्वरके चियै। जे परमेस्वरके चिन्हैछै, उ अपनासबके बात सुनैछै। जे परमेस्वरके लोक नै चियै, उ अपनासबके बात नै सुनैछै। अहैसे अपनासब सतके आत्मा आ झुठके आत्मा छुटयाइले सकैचियै।
“हमर पिता हमरा सबचिजके जिमा देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै आ बेटा ओकरा जकरलग परगट करैके इक्छा करैछै से औरो कोइ नै जानैछै।”
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”
तब उसब येसुके पुछल्कै, “तोहर पिता कते छौ?” येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब नै त हमरा चिन्हैचिही आ नै त हमर पिताके। यदी तुसब हमरा चिन्हतिही त हमर पितोके चिन्हने रहतिही।”