15 येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै कैहके सुइकार करैबला लोकमे परमेस्वर बास करैछै आ उ लोक परमेस्वरमे बास करैछै।
“जे हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, तकरा हम्हु स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने सुइकार करबै।
“हम तोरासबके कहैचियौ, जेसब हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, ओकरा मानबोके बेटा परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने सुइकार करतै।
हमर देह खाइबला आ हमर लहु पियैबला हमरमे रहैछै आ हम ओकरमे रहैचियै।
[फिलिप जबाब देल्कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्बास करैचियै त बप्तिस्मा ल्यासकैचियै।” उ कहल्कै, “हम बिस्बास करैचियै जे येसु खिरिस्टे परमेस्वरके बेटा चियै।”]
यदि तु येसुके हमर परभु चियै कैहके आपन मुहसे सुइकार करबिही आ परमेस्वर ओकरा मरलसे जिबित करल्कै कैहके आपन हिरदयमे बिस्बास करबिही त तोहर उधार हेतौ।
सबकोइ परमेस्वर पिताके महिमाके लेल येसु खिरिस्टके परभु कैहके सुइकार करेपरतै।
जे बेटाके इन्कार करैछै ओकरसङे पिता नै रहैछै महज जे बेटाके सुइकार करैछै ओकरसङे पितो रहैछै।
तै खातिर जे बात तुसब सुरुसे सुन्ने चिही, तकरा आपन मनमे राखने रह। यदि उ तोरासबके मनमे रहतौ त, तुहुसब बेटा आ पिताके मनमे बास करबिही।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
जे परमेस्वरके आग्यासब पालन करैछै, उ सबगोरा ओकरेमे रहैछै आ परमेस्वर ओकरासबमे रहैछै। परमेस्वर अपनासबमे बास करैछै से बात परमेस्वरके द्याल पबितर आत्मासे हमसब जानैचियै।
परमेस्वरके कोइने कहियो देख्नेछै। महज अपनासब एक-दोसरके परेम करबिही त परमेस्वर अपनासबमे बास करतै आ ओकर परेम अपनासबमे पुरा हेतै।
येसु खिरिस्ट मानबके रुपमे एलछै से सुइकार करैबला आत्मा परमेस्वरसे चियै कैहके चिन्हबिही।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
के सन्सारके जिते सक्तै त? जे कोइ येसुके परमेस्वरके बेटा कैहके बिस्बास करतै, उ लोक मातरे सन्सारके जित्तै।
कथिलेत बहुतो धोखा दैबलासब सन्सारके बहुतो ठामसबमे पुइगगेल छै, जेसब येसु खिरिस्ट देहधारी भेल छै कैहके नै सुइकारैछै। एहैन लोकसब धोखा दैबला आ खिरिस्ट बिरोधी चियै।