13 हे भाइ-भैयासब, जब सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना करतौ तब अचम नै मान।
हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
तब हमर नामके खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही आ जे अन्ततक स्थिर रहतै उ उदार पाबतै।”
हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै।
हम तोरासबके कहैचियौ नया कैरके जल्मे परतौ से बात सुइनके अजगुत नै मान।
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
यि देखके पतरुस ओइ लोकसबके कहल्कै, “हे इजराएलके लोकसब, यि बातमे अहाँसब कथिले अचम मानैचियै? हमसब आपन सक्तीसे आ भक्तिसे ओकरा चलफिर कराइले सकैबला जखा कथिले ताकैचियै?
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोक परमेस्वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेबस्था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै।
येसु खिरिस्टमे भक्तीके जिबन बिताइले चाहैबलासबके सताबटके सामना करैए परतै।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।
महज स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “तु कथिले छक परलिही?” हम तोरा उ जनी आ ओकरा बोकैबला सातटा मुरी आ दसटा सिङ भेल जानबरके रहस बतेबौ।