12 अपनासब कयिन जखा नै हेबेपरतै। उ सैतानके लोक भेलाके कारन आपन भाइ हाबिलके मारल्कै। उ कथिले आपने भाइके मारल्कै? कथिलेत ओकर कामसब दुस्ट छेलै। महज ओकर भाइके काम धरमी छेलै।
जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै।
खेत सन्सार चियै। असल बिचहन परमेस्वरके राजके लोकसब चियै आ झर सैतानके लोकसब चियै।
अहै तरहसे पिरथिबीमे धरमी लोकके जतहेक खुन बहलै- धरमी हाबिलके लहुसे लके बेरेक्याहके बेटा जकरियाके लहुतक, जकरा तुसब मन्दिरके पबितर ठाम आ बेदीके बिचमे हतिया करलिही- तकरासबके दोस तोरेसबके कपारमे परतौ।
पिलातस पुछल्कै, “कथिले? यि कोन अपराध करने छै से?” महज अहैले लोकसब जोरजोरसे चिच्याइत कहेलाग्लै, “ओकरा कुरूसमे लटका!”
तोरासबके कहल बचन ‘हँ’ त ‘हँ’ ‘नै’ त ‘नै’ मातरे कह। अकरसे बेसी बाजैचिही त उ सैतानसे आबैछै।
हँ, हम तोरासबके कहैचियौ, हाबिलके खुनसे ल्याके बली बेदी आ परमेस्वरके मन्दिरके पबितर जगहके बिच मारल जकरिया तकके खुनके लेखा अहै पुस्ताके लोकसबसे ल्याल जेतै।
महज येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके हमर पितासे बहुतो अजगुतके कामसब कैरके देखेलियौ, ओइसबमेसे कोन कामके लेल तुसब हमरा पथलसे मारैले चाहैचिही?”
महज हम तोरासबके परमेस्वरसे सुनल सत बातसब सुनाइचियौ त तुसब हमरा मारैले ताकैचिही। अबराहम त एहेन काम नै करल्कै।
तुसब ओह्या करैचिही जे तोहर पिता करल्कौ।” उसब येसुके कहल्कै, “हमसब बेबिचारमे जलमल नै चियै। हमरासबके त एकेटा पिता छै, उ परमेस्वर चियै।”
कि अगमबक्तासब मेसे ककरा नै तोरौरके पिता-पुरखासब सतेल्कौ? परमेस्वरके पबितर धारमिक सेबकके आबैसे पैहने भबिसबानी करैबलासबके खुन कैर देल्कौ आ तुसब ओहै धरमी सेबकसबके पकराके ओकरा खुन कैर देल्ही।
यि बात हमरासबके थाहछै भाइ-भैयासब कथिलेकी तोरासबके जे समस्या भेलौ उ समस्या यहुदियामे रहल परमेस्वरके मन्डली अरथात खिरिस्ट येसुमे बिस्बास करैबला लोकसबके भेलै। उसब आपन जाती यहुदीसे जनङ सताबट पाबल्कै तहिने तुहुसब आपने जातीके लोकसबसे सताबट पाबनेचिही।
बिस्बाससे हाबिल आपन भैया कयिनसे औरो बेसी गरहन योग्य बली परमेस्वरके चरहेल्कै आ ओहैसे हाबिल धरमी ठहरलै। ओकर चरहाल बलीके परमेस्वर सुइकार करल्कै। हाबिल मैरके चैलगेलै तैयो ओकर बिस्बासके उदाहरनसे अखुनो अपनासब सिखैले सकैचियै।
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
आब तुसब निरलज जिबन नै बिताइचिही से देखके उसब छक परैछै आ तोरासबके बदनाम करैछौ।
फेनो-फेनो पाप करैबलासब सैतानके लोक चियै। कथिलेत सैतान सुरुवेसे पाप करैत एलछै। अहै खातिर सैतानके काम नास करैले परमेस्वरके बेटा परगट भेलछै।
ओइसबके खातिर यि कतहेक डर हैबला बात चियै। उसब कयिनके देख्याल रस्ता चल्लै। पैसाके खातिर बलामके करलहा अधलाह कामके रस्ता गेलै तब उसब कोरह जखा बिरोध करल्कै आ उसब ओकरे जखा नास हेतै।
तब हम उ जनीके परमेस्वरके पबितर जनसब आ येसु खिरिस्टके साक्छी दैबलासबके लहु पिके मातल देखके हम एकदम छक परलियै।