10 परमेस्वरके बेटा-बेटी आ सैतानके बेटा-बेटी अहिनङके चिन्हैले सकैचियै कि धारमिकतामे नै चलैबला आ आपन भाइ-भैयासबके परेम नै करैबला परमेस्वरके बेटा-बेटी नै हैछै।
“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
तोरासबके पिता त सैतान चियौ आ तुसब आपन पिताके इक्छा पुरा करैले चाहैचिही। उ त सुरुवेसे हतियारा छौ, सत चिजसे ओकरा कोनो मतलब नै छै, कथिलेत ओकरमे कोनो सत नै छै। जब उ झुठ बोलैछै, उ आपन स्वभाब अनुसार बोलैछै, कथिलेकी उ झुठ चियै आ उ झुठके पिता चियै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।
अपनासब त परमेस्वरके चियै। जे परमेस्वरके चिन्हैछै, उ अपनासबके बात सुनैछै। जे परमेस्वरके लोक नै चियै, उ अपनासबके बात नै सुनैछै। अहैसे अपनासब सतके आत्मा आ झुठके आत्मा छुटयाइले सकैचियै।
पिरिय सङि, तु खराब कामके देखासेखी नै कर, बरु असल कामके देखासेखी कर। जे असल काम करैछै, उ परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ जे अधलाह काम करैछै, उ परमेस्वरके नै चिन्हने रहैछै।