7 पिरिय सङिसब, हम तोरासबके लबका आग्या नै, महज वह्या पुरन्के आग्या लिखैचियौ। जे सुरुवेसे चलल एल पुरन्का आग्या चियै। यि पुरन्का आग्या तोरासबके सुनलेहे बचन चियौ।
“तुसब सुन्ने चिही जे अनङ कहलगेल छेलै, ‘आपन परोसियाके परेम कर आ आपन दुस्मनके घिरना कर।’
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
तब उसब पावलके अरियोपागसके सभामे लज्याके कहल्कै, “कि हमरासबके यि लया सिक्छाके बारेमे जाइन सकैचियै, जे अहाँ द्यारहलचियै।
हे हमर पिरिय सङीसब, हमसब तोरासबके बारेमे अनङ बोललियै तैयो तोरासबसे असल बातके आसा करनेचियौ। तुसब मुक्ती पाबलहा लोकसबके करल कामसब जखा तुहुसब असल काम करैचिही।
तै खातिर जे बात तुसब सुरुसे सुन्ने चिही, तकरा आपन मनमे राखने रह। यदि उ तोरासबके मनमे रहतौ त, तुहुसब बेटा आ पिताके मनमे बास करबिही।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।
हे हमर पिरिय सङिसब, आपने मन अपनासबके दोसी नै ठहराइतौ त अपनासबके परमेस्वरके अगा जाइले साहस एतौ।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
हमर पिरिय सङिसब, परमेस्वर अपनासबके अतहेक परेम करने छै त अपनोसबके एक-दोसरके परेम करेपरतै।
जे परमेस्वरके परेम करैछै, ओकरा आपन भाइयोके परेम करे परतै। एह्या आग्या खिरिस्ट अपनासबके देने छै।
पिरिय सङिसब, अपनासब एक दोसरके परेम करु कथिलेत परेम परमेस्वरेसे आबैछै। परेम करैबला परमेस्वरके धियापुता चियै आ उ परमेस्वरके चिन्हैछै।