3 यदि अपनासब ओकर आग्यापालन करबै त अहैसे अपनासब जान्बै कि अपनासब ओकरा चिन्हैचियै।
“हमर कहल बात नै करैचिही आ नै मानैचिही त तुसब कथिले हमरा ‘परभु, परभु’ कहैचिही?
“यदी तुसब हमरा परेम करैचिही त हमर देल आग्यासबके मानबिही।
जनङ हम आपन पिताके आग्यापालन करनेचियै आ ओकर परेममे रहैचियै, तहिनङे तुहुसब हमर आग्यापालन करबिही त हमर परेममे रहबिही।
यदी तुसब हमर देल आग्यापालन करैचिही त, तुसब हमर सङी चिही।
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
हौ बाबुसब, हम अहाँसबके लिखैचियै कथिलेत जे सुरुवेसे छेलै ओकरा अहाँसब चिन्हैचियै। हे जबानसब, हम तोरासबके लिखरहलचियौ, कथिलेत तुसब ओइ दुस्ट सैतानके जितनेचिही।
अपनासब जानैचियै कि मिरतुके मुहसे निकैलके जिबनमे पुइगगेल चियै कारन अपनासब एक दोसरके परेम करैचियै। जे लोकसब परेम नै करैछै उ मिरतुके बन्धनमे रहैछै।
अहैसे अपनासब सतके लोकसब चियै से जानैचियै आ परमेस्वरके अगा निरधक साथ रहैचियै।
जे खिरिस्टमे रहैछै से लोक पाप नै करैतरहैछै। महज पाप करैबला लोक ओकरा नै त देखनेछै नै त चिन्हैछै।
उ अपनासबके पबितर आत्मा देलाके कारन हमसब यि जानैचियै कि, हमसब परमेस्वरमे रहैचियै आ परमेस्वर हमरासबमे रहैछै।
पिरिय सङिसब, अपनासब एक दोसरके परेम करु कथिलेत परेम परमेस्वरेसे आबैछै। परेम करैबला परमेस्वरके धियापुता चियै आ उ परमेस्वरके चिन्हैछै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ पुरे सन्सार दुस्ट सैतानेके बन्धनमे छै कैहके अपनासब जानैचियै।
जब हमसब परमेस्वरके परेम करैचियै आ ओकर आग्यासब पालन करैचियै, तब ओहैसे जानैचियै कि, हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटीके परेम करैचियै।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।
तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै।
अकर मतलब परमेस्वरके आग्यापालन करैबला आ येसुमे बिस्बास करैबला परमेस्वरके जनसब धिरज करेपरतै।
उसब धैनके चियै, जे आपन बस्तर धोइबके साफ करैछै। उसब जिबनके गाछके फल खाइले आ ओइ सहरके देहरीसे भितर जाइले पाबतै।