12 हमर दुलरुवा धियापुतासब, हम तोरासबके यि लिखरहल चियौ, कथिलेत येसु खिरिस्टेसे तोरासबके पाप छमा भेलछौ।
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
येसु लोकसबके एहेन बिस्बास देखके कहल्कै, “हे पिरिय, तोहर पाप छमा भेलछौ।”
सब अगमबक्तासब येसुके बारेमे गबाही देनेछै, जे कोइ ओकर उपर बिस्बास करतै ओइसबके पाप ओकर नाममे छमा हेतै।”
तै खातिर भाइ-भैयारीसब, तोरौरके थाह हेबे, कि येसुवेटासे मातर तोरौरके पाप छमा भ्या सकैछौ।
“येसु बाहेक औरो कोइ दोसरमे उदार नै छै, कथिलेत हमरासबके उदार पाबैले स्वरगके निचा लोकसबके बिचमे औरो कोनो दोसर नाम नै देनेछै।”
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
ओकर महान अनुगरह अनुसार खिरिस्ट आपन लहु बहेलासे अपनासब उधार आ पाप छमा पाबनेचियै।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
ओकरेमे अपनासबके छुटकारा आ पाप छमा छै।
अपनासबमे भरपुर आनन्द रहे कैहके हमसब यि बात लिखरहल चियौ।
महज परमेस्वर जहिनङ इजोतमे रहैछै तहिनङ हमसब इजोतमे चलैचियै त अपनासबके संगती एक दोसरसङे हैछै आ ओकर बेटा येसुके लहुसे अपनासबके सब पापसे सुध करैछै।
यदि अपनासब आपन पाप परमेस्वरके अगा सुइकार करबिही त, उ अपनासबके पाप छमा करतौ आ सब अधरमसे सुध करतौ कथिलेत उ बिस्बासयोग्य आ धरमी छै।
हे हमर दुलरुवा धियापुतासब, तुसब पाप नै करिहे कैहके यि बात तोरासबके खातिर लिखैचियौ। महज कोइ पाप करियोलेतै त अपनासबके दिसनसे पितासङे बिन्ती करैबला एक गोरा धरमी येसु खिरिस्ट छै।
तुसब सतके नै चिन्हैचिही कैहके हम नै लिख्नेचियौ, महज तुसब सतके चिन्हैचिही आ सतसे झुठ नै आबैछै से बात तुसब जाइन्ते चिही कैहके हम यि लिखने चियौ।
पिरिय सङिसब, हम तोरासबके लबका आग्या नै, महज वह्या पुरन्के आग्या लिखैचियौ। जे सुरुवेसे चलल एल पुरन्का आग्या चियै। यि पुरन्का आग्या तोरासबके सुनलेहे बचन चियौ।