8 यदि अपनासब कहैचियै कि हमरमे पाप नै छै तब अपनासब अपने-आपके धोखा दैचियै आ अपनासबमे सत नै रहैछै।
तोरासबके पिता त सैतान चियौ आ तुसब आपन पिताके इक्छा पुरा करैले चाहैचिही। उ त सुरुवेसे हतियारा छौ, सत चिजसे ओकरा कोनो मतलब नै छै, कथिलेत ओकरमे कोनो सत नै छै। जब उ झुठ बोलैछै, उ आपन स्वभाब अनुसार बोलैछै, कथिलेकी उ झुठ चियै आ उ झुठके पिता चियै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “धरमी कोइ नै छै, एकोटा नै छै।
कथिलेत सबलोक पाप करने छै आ परमेस्वरके महिमा तक पुगैले चुकल छै।
कोइ आपनेके धोखा नै देबे। यदि कोइ अइ सन्सारके हिसाबसे आपनेके बुधिमान ठानैछै त, उ साँचेके बुधिमान हैले आपनेके मुरुख बनाबे।
यदि कोनो मोलके नै भेल्हा लोक आपनके बरका ठानैछैत, उ आपनेके धोखा दैछै।
एहेन लोकसबके बिचमे सबदिन झगरा हैछै। ओइसबके मति भरस्ट भेल रहैछै। उसब सत बातसबसे दुर भेल रहैछै आ परमेस्वरके भक्ति करैबला काम धनिक हैकेलेल चियै कैहके बिचार करैछै।
महज दुस्ट आ ढोङी लोकसब दोसरके धोखा दैछै आ उ आपनो धोखा खाइत बिगरैते जाइछै।
तोरौरके बचन पालन करैबला बन, सुनैबला मातरे भ्याके आपनके धोखा नै दहै।
कोइ आपनके धरमी सम्झैछै, महज आपन जिहके लगाम नै लगाइछै त उ आपनेके धोखा दैछै आ ओकर धरम-करम बेरथ हैछै।
बास्तममे अपनासब भुलचुकमे बहौतरा गल्ती करैचियै। बोलि-बचनमे कहियो गल्ती नै बाजैबला लोक सिध लोक चियै। उ लोक आपन पुरा सरिरमे लगाम लगाइले सक्तै।
उसब औरोसबके दुख देलाके कारन आपनो दुख भोगेपरतै। उसब दिने-दुपहरेमे मोजमजा करनाइ आनन्द बात ठानैछै। उसब त कलङकित आ दुसित लोकसब चियै। तोरासबसङे भोजन करैतकाल उसब छल कैरके आनन्द लैछौ।
यदि हमसब कोनो पाप नै करनेचियै कहैचिही त परमेस्वरके झुठा ठहराइचिही आ ओकर बचन अपनासबमे नै रहतौ।
यदि अपनासब कहैचियै कि हमसब परमेस्वरसङे संगती करैचियै तैयो अन्हारेमे चलैचियै त, अपनासब झुठ बोलैचियै आ सत्यतामे नै चलैचियै।
जे कोइ “हम ओकरा चिन्हैचियै” कहैछै, महज ओकर आग्या नै मानैछै त उ झुठा चियै आ ओकरमे सत्यता नै रहैछै।
यदि कोइ परमेस्वरके परेम करैचियै कहैछै आ आपन भाइ-बहिनके घिरना करैछै त उ झुठ छै। आपनसे देखल भाइके परेम नै करैबला नै देखल परमेस्वरके कनङ परेम करे सक्तै?
कथिलेकी उ सत हमरासबमे छै आ सबदिन रहबे करतै।
कतहेक बिस्बासी भाइसब आइबके तोहर बारेमे बताइल्कै कि तु सत्यता आ बिस्बासयोग्यमे चैलरहलचिही, तब हमरा बहौत खुसी लागल।