8 कि यि बात हम लोकके हिसाबसे कहैचियौ से? कि बेबस्था सेहो एहेन बात नै कहैछै से?
तब कि अपनासबके अहै बिस्बास दुवारा बेबस्थाके बेरथ कैरदेबै? कदापी नै! बरु हमसब बेबस्थाके साँचोके मानैचियै।
महज कतहेक लोकसबके बिचारमे, हम यहुदीसबके करल पापसे परमेस्वर औरो बेसी धरमी देखाइछै त हम कथि करबै? कि लोकसबके दन्ड देनाइ परमेस्वरके गल्ती छेलै त?
तोरासबके मानबिय स्वभाबके कमजोरीके कारनसे हम तोरासबके बुझैबला हिसाबसे मालिक आ दासके उदाहरन देके कहैचियौ। एक समयमे खराब इक्छासे बहुत घिनलागैबला पाप आ दुस्ट काम करैले तुसब आपन जिबनके दास जखा सोपने छेल्ही। आब पबितर हैले तोरासबके जिबन परमेस्वरके लेल असल काम करैबला दास जखा सोप।
जनिसब मन्डलीके सभामे चुप रहैके चाही। ओइसबके बाजैके अनुमति नै छै, महज बेबस्थामे कहल जखा उसब अधिनमे रहे।
हमर बिचारमे यि छै कि, यदि उ फेरसे बियाह नै करतै त औरो बेसीसे खुस रहतै। यि सल्लाह हम परमेस्वरके आत्मासे दैचियौ।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमर करल सुसमाचार परचार, लोकसे नै एलछै से बात बुझ कैहके चाहैचियौ।
हमसब परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइते रहैचियै, कथिलेकी जै परमेस्वरके सत बचन हमसब तोरासबके सुनेलियौ तुसब उ बचन लोकसबके चियै कैहके नै महज परमेस्वरके सत बचन छै बुइझके गरहन करलिही। उ बचन तोरासबके बिस्बासीसबके जिबनमे काम कैर रहल छौ।
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।