यदि तोरासबसे औरो परचार करैबलासब मुनासिब हकके दाबी करैछौ त कि हमरासबके झन बेसी हक नै छै? महज यि हक हमसब उपयोग नै करनेचियै। खिरिस्टके सुसमाचार सुनाबैले कोनो बाधा नै हेबे कैहके सबकुछ सैहके रहैचियै।
महज यि हकसबमेसे हम कोनो परयोग नै करनेचियै आ तोरासबके हमरा कुछ दैले परतौ कैहके हम नै लिखने चियौ। कथिलेत हमर गर्ब करैबला बातसे कोइ हमरा दुर कराबैछै त बरु हमरा मरनाइ असल चियै।
यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै।