17 यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै।
जे अगमबक्ताके अगमबक्ते कैहके सुइकार करतै, से अगमबक्तेके इनाम पाबतै। तहिनङे जे धरमी लोकके धरमीए कैहके स्वागत करतै, उ धरमीएके इनाम पाबतै।
“देख, यि बात हम तोरासबके पहिनेसे कैहदेने चियौ।
परभु उतर देल्कै, “बफादार आ बुधिमान मुखिया के चियै, जकरा ओकर मालिक आपन घरके सब कामकाजके जिमा देतै आ आपन नोकरसबके ठिक समयमे खाना दैकेलेल खटेतै।
अखनियो बाली काटैबलाके बैन भेटैछै आ अनन्त जिबनके खातिर अन जमा करैछै, तब छिटैबला आ काटैबला दुनु सङे-सङे खुसी मनाबैछै।
यदि जे लोकके काम आइगसे नास नै हेतै त, उ लोक इनाम पाबतै।
बिया छिटैबला आ पानी पटाबैबला बराबर चियै आ परमेस्वर सबकोइके आपन-आपन मेहनत अनुसारके इनाम देतै।
तुसब हमरासबके खिरिस्टके सेबकसब आ परमेस्वरके रहसके बात परकट करैबला सम्झैले परतौ।
यदि हम सुसमाचार परचार करैचियै त ओइमे घमन्ड करैबला कोनो कारन नै छै, कथिलेत यि काम हमरा करैयै परतै। हम सुसमाचार परचार नै करबै त हमरा धिक्कार छै।
आब हमर इनाम कि चियै त? हक अनुसार पाबैबला कोनो पैसा नै ल्याके फोकटमे सुसमाचार परचार कैरके पाबैबला आनन्दे हमर इनाम चियै।
यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
महज उसब देखल्कै कि, जनङ परमेस्वर हमरा गैर-यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल जिम्मा देनेछेलै, ठिक ओहिनङे यहुदीसबके बिचमे सुसमाचार सुनाइके लेल पतरुसके जिम्मा देने रहै।
परमेस्वर हमरा तोरासबके भलाइके खातिर सेबक बनाइनेछै आ ओकर बचन पुरा-पुरी परचार करैके जिम्मा देनेछै।
महज परमेस्वर हमरासबके ओकर योग्य भेलाके कारन सुसमाचार परचार करैके जिम्मा देने छै। अहैलेल हमसब लोकसबके खुसी करैके लेल नै, महज मन जाचैबला परमेस्वरके खुसी करैके लेल हमसब सुसमाचार सुनाइचियै।
महज तोहर अनुमती बिना हमरा अनङ करैले निक नै लागल कथिलेकी तु करकापमे नै महज आपने इक्छासे सहायता कर कैहके हम चाहैचियै।